-
गजल
Friday, September 2, 2016
कर्ममे एना रमा जाउ संगीस्वर्गमे सिड़ही लगा जाउ संगीभेटलै ककरा कथी मेहनत बिनुबाट गन्तव्यक बना जाउ संगीनै घृणा ककरोसँ नै द्वेष राखूनेह चारु दिस बहा जाउ संगीचित्तमे सुनगत अनेरो जँ चिन्ताधूँइयामे सब उड़ा जाउ संगीठेस लागल ओकरे जे चलल नितडेग उत्साहसँ बढा जाउ संगीकिछु करु हो जैसँ कल्याण लोककनाम दुनियामे कमा जाउ संगीओझरी छोड़ाक जिनगीक आबोसंग कुन्दनके बिता जाउ संगीफाइलुन–मुस्तफइलुन–फाइलातुन© कुन्दन कुमार कर्णLabels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
Poem : I like you
Thursday, July 14, 2016
You can't imagine
My intrinsic sensation
The wave of your desire
Is on fire
Every breath I take
Every move I make
You always with me
I wish you would have known
The story of my discomfort
The State of my loneliness
But,
What can I do
Now that
My heart isn't in control of itself
Then
How to win your heart
Perhaps
It's impossible for me
But nevertheless
I'm looking to continue
This series of affection
Without your any action
Even
I don't know
Whatever you are
Good or bad
Honest or mad
I just know
A thing about you
From the bottom of my heart
I like you
I like you
I like you
© Kundan Kumar KarnaLabels: कविता | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
Ghazal
Monday, June 27, 2016
You stole my heart at a glance
Picture source - google
Smiling is the first step to enter into heart
So, pass this step within love circumstance
My feeling and affection are inviting you
I think these are all definitely acceptance
Rainy is the season that exciting me
My heart began to saw you dance and dance
Darling, you hold me in your cool arm
Come on and fall with me in romance
© Kundan Kumar KarnaLabels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
Ghazal
Wednesday, June 22, 2016
My heart is on fire
Because of your desire
Forgone is the food
Forgotten are attire
You are the pearl
And the golden sapphire
Aspires all the senses
To make it square
Affection continues for sure
Till the moment of pyre
Love addicts in my vein
Going to be higher
I am incomplete soul
Only you can make me entire
If I get you for forever
Then what else is the require
These words are my feelings
Don't understand fake admire
[couplets 2,3,4 and 5 are created by Rajeev Ranjan Mishra sir and remaining by me]Labels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
बाल गजल
Thursday, May 19, 2016
फूल पर बैस खेलै छै टिकली
डारि पर खूब कूदै छै टिकली
Picture - www.google.com
भोर आ साँझ नित दिन बारीमे
गीत गाबैत आबै छै टिकली
लाल हरिअर अनेको रंगक सभ
देखमे नीक लागै छै टिकली
पाँखि फहराक देखू जे उडि-उडि
दूर हमरासँ भागै छै टिकली
नाचबै हमहुँ यौ कुन्दन भैया
आब जेनाक नाचै छै टिकली
मात्रक्रम : 212-2122-222
© कुन्दन कुमार कर्ण
Labels: बाल गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
गजल
Tuesday, May 10, 2016
जनतन्त्रमे जन राज्यसँ डेरा रहल छै
अपने चुनल सरकारसँ पेरा रहल छै
कानूनमे अधिकार मुदा काजमे नै
स्वतन्त्रता अभ्याससँ हेरा रहल छै
ठेकान नै कुर्सीक कखन के लऽ जेतै
सत्ताक भागी जल्दिसँ फेरा रहल छै
अन्याय अत्याचारसँ पीडित गरीबे
नेताक चक्रव्यूहसँ घेरा रहल छै
ककरासँ जनता आब करत कोन उल्हन
रक्षक सभक बन्दूकसँ रेरा रहल छै
सेनूर मेटा गेल कतेकोक कुन्दन
सरकार नै लोकसँ टेरा रहल छै
2212-221-122-122Labels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
चर्चा परिचर्चा
Wednesday, May 4, 2016
हम नै आलोचक छी । नै समालोचक छी । आ हुनका सभहँक जागिर सेहो छिनऽ नै चाहै छी । तथापि एकटा सर्जककेँ हिसाबसँ मैथिल साहित्यक चर्चित नाऔं सियाराम झा 'सरस' जीक लिखल गजल संग्रहपर संक्षेपमे आइ किछु चर्चा करऽ चाहब ।
तँ पहिने सरला प्रकाशनद्वारा सन् 1989 मे प्रकाशित कएल गेलह हुनक गजल संग्रह "शोणितायल पैरक निशान"के देखि-
एहि संग्रहमे कुल ४८टा गजल छै । जकरा आजाद गजलक श्रेणीमे राखि पढल जा सकैछ । किछु गजल भावक दृष्टिकोणे तँ महत्वपूर्ण छहिए किछु शेर सेहो हृदयकेँ छूअवला छै । जेना बतीसम् गजलक ई मतला देखू-
फूलवन मे एक भँवरा युग युग सँ रहए पियासल
जनु भोजक खास भडारी रहि जाय निखण्ड उपासल
पोथीमे 'गजले किएक ?' विषयपर 6 पेज खर्च कए लिखल गेल छै मुदा 'गजले किएक ?' तकर तथ्यपरक तर्क नै भेट सकल ।
बहरक निर्वहन तँ दूरक बात संग्रहक अधिकांश गजलमे गजलक आधारभुत निअम पालन नै कएल गेल छै । जेना गजल संख्या 2, 3, 8, 11, 14, 15, 18, 21, 23, 24, 25, 26, 27, 30, 35, 36, 45, 46, 47, 48 लगायतके गलजमे काफिया दोष तँ छहिए, बहुत रास गजलमे काफिया आ रदिफक ठेकान नै । ढेर रास शेरकेँ अर्थ सेहो अस्पष्ट बुझाइत । जेना तीसम् गजलक ई मतला देखू-
भूमि डोलल तँ बहुत किछु डोलल
भूमि डोलल तँ कहाँ किछू डोलल
कहब कने नीक नै लागत मुदा गजलक नामपर गजलक मजाक उडाएल जकाँ बुझाएत । तखन एकरा गजल संग्रह कहनाइपर प्रश्नचिन्ह लागि रहल छै । संगे शाइर गजलक विविध पक्षक सम्बन्धमे अनभिज्ञ रहल बात उजागर होइ छै ।
तेनाहिते नव आरम्भ प्रकाशनद्वरा सन् 2008 मे प्रकाशित हुनके गजल संग्रह 'थोडे आगि थोडे पानि'मे सेहो एहने गल्ती सभ दोहराएल भेटत ।Labels: गजल चर्चा परिचर्चा | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
गजल
Monday, May 2, 2016
बिनु पुछने हृदयसँ ककरो लगाबऽ चलल छलौँ हम
अनचिन्हार गाममे घर बनाबऽ चलल छलौँ हम
कारोबार एहि जिनगीक सुखसँ चलाबऽ खातिर
नेहक लेल मोल अपने घटाबऽ चलल छलौँ हम
चिन्हब लोककेँ कठिन अछि भरमसँ भरल जगतमे
बुझि कांटेक फूल हियामे सजाबऽ चलल छलौं हम
अपनो छाहपर जखन नै भरोस रहल मनुषकेँ
दोसरकेँ तखन हियामे बसाबऽ चलल छलौं हम
भगवानक दयासँ कुन्दन कपार हमर सही छल
अपने घेंचकेँ अनेरो कटाबऽ चलल छलौं हम
2221-2122-12112-122
© कुन्दन कुमार कर्णLabels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
हेलो मिथिलामे गजल प्रस्तुति
Tuesday, April 26, 2016
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
गजल
Thursday, March 10, 2016
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
रे हिया हमरा एतेक मजबूर नै कर
चाहमे ककरो हमरेसँ तूँ दूर नै कर
एकटा कित्ता अछि मोन सौँसे हमर ई
बाँटि टुकड़ी-टुकड़ीमे अलग धूर नै कर
काँच कोमल आ नवका जुआनी चढल छै
आगि यादक यौवनमे लगा घूर नै कर
एक त प्रेमक खातिर पिआसल रहै छी
ताहि पर आरो उकसाक आतूर नै कर
भागमे ककरा कुन्दन लिखल सब रहै छै
कल्पनामे डुबि एना मोनके झूर नै कर
212-2222-122-122
© कुन्दन कुमार कर्णLabels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
Labels: अन्तरवार्ता, तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions: