सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

संदेश

नवंबर, 2021 की पोस्ट दिखाई जा रही हैं

विशेष

मुखपोथी (फेसबुक)पर लोकप्रिय भेल किछु शेर

'मैथिली शाइरी' जे कि सामाजिक सञ्जालक युगमे पछिला एक दशकसँ बहुक लोकप्रिय भेलै आओर दिनप्रति दिन एकर लोकप्रियतामे निरन्तर वृद्धि भऽ रहल छै । पाठक सभक प्रेमकें ध्यानमे रखैत शेर- ओ-शाइरीक एहि यात्रामे हम फेसबुक पर शेर सभ साझा करैत रहैत छी । सन् २०२५ मे एखन धरि प्रस्तुत भेल शेर निम्न प्रकार अछि । मैथिली गजल प्रेमी सभसँ निहोरा अछि जे  ई पढि  अपन प्रतिकृया देल जाय । फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू   फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू पढबाक लेल धन्यवाद ।

गजलः आइ बदरीमे नजरि एलै तस्वीर तोहर

आइ बदरीमे नजरि एलै तस्वीर तोहर चानकें सेहो अखड़ि गेलै तस्वीर तोहर तोरे दर्शन लेल पृथ्वीपर परि आबि गेलै इन्द्रलोकोमे असरि भेलै तस्वीर तोहर चेहरा ककरो मिलल नै तोरा चेहरा सन तइयो दुनियाँ भरि नजरि एलै तस्वीर तोहर शंका हेतै शुद्धतापर केओ केने शाइद बीच गंगामे उतरि हेलै तस्वीर तोहर बरखा ठनका ठण्डी गर्मी गगनोमे की–की नै चोट मौसमकें कुहरि झेलै तस्वीर तोहर ऽ।ऽऽ     ऽ।ऽऽ     ऽऽऽ।     ऽऽ © कुन्दन कुमार कर्ण Maithili Ghazal

कौन सी रचना गजल हैं, कौन सी नहीं ? (हिन्दी अनुवाद)

गजल सम्बन्धी नेपाली भाषामे "कुन रचना गजल हो, कुन होइन ?" शीर्षकमे जुलाई, २०२० मे नेपालक राष्ट्रिस्तरकें न्यूजपोर्टल सभमे प्रकाशित भऽ चूकल आलेखक नई उम्मीद मैगजिनमे प्रकाशित हिन्दी अनुवाद- गजलः नव उम्मीदमे प्रकाशित आलेखक हिन्दी अनुवाद - पहिल पृष्ठ गजलः नव उम्मीदमे प्रकाशित आलेखक हिन्दी अनुवाद - दोसर पृष्ठ गजलः नव उम्मीदमे प्रकाशित आलेखक हिन्दी अनुवाद - तेसर पृष्ठ