सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

संदेश

अप्रैल, 2016 की पोस्ट दिखाई जा रही हैं

विशेष

गजल: लगाबऽ दाउ पर पड़ै परान बन्धु

लगाबऽ दाउ पर पड़ै परान बन्धु मनुष बनै तखन सफल महान बन्धु बड़ी कठिनसँ फूल बागमे खिलै छै गुलाब सन बनब कहाँ असान बन्धु जबाब ओकरासँ आइ धरि मिलल नै नयन सवाल केने छल उठान बन्धु हजार साल बीत गेल मौनतामे पढ़ब की आब बाइबल कुरान बन्धु लहास केर ढेरपर के ठाढ़ नै छै कते करब शरीर पर गुमान बन्धु 1212-1212-1212-2 © कुन्दन कुमार कर्ण

हेलो मिथिलामे गजल प्रस्तुति

24 अप्रिल, 2016 लोकप्रिय मैथिली कार्यक्रम हेलो मिथिलामे संचालक एवं प्रसिद्ध साहित्यकार श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि जीक संग कान्तिपुर एफ‍.एम.के स्टूडियोमे लेल गेल तस्वीर । कार्यक्रममे मैथिली गजलक विविध पक्षपर चर्चा परिचर्चा भेल ।