रंग विरंगक भास छलै गीत गबैत परात रहै भोर कहै शुभभोर सदा बड्ड मजा छल बड्ड मजा आब दलानक शान कहाँ बूढ़ पुरानक गान वला इन्टरनेटक शासनमे संस्कृति खातिर सोचत के छन्द : सारवती (ऽ।। ऽ।। ऽ।। ऽ) Kundan Kumar Karna
जकरा बुते उठल नै खर कहत बनेलौं नवका घर एक दिन बर जोतलनि हर हगलनि पदलनि लगलनि जर घिनमाघिन चललै सबतरि हम छियै उपर तूँ छी तर मौगी खातिर रूसल छौड़ा नोकरी चाकरी ठां नै ठर साँच किए बजलियै अहाँ मनुष छियै की मनुषक झर 22-22-22-2 © कुन्दन कुमार कर्ण