सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

संदेश

जुलाई, 2014 की पोस्ट दिखाई जा रही हैं

विशेष

शुरू भेल 'मैथिली गजल पाठशाला'

मैथिली गजल प्रबर्धनके लेल 28 डिसेम्बर 2025 सँ 'मैथिली गजल पाठशाला' शुरू कएल गेल अछि । वाट्स ऐपपर शुरू भेल एहि पाठशालासँ मैथिली गजलमे नव गजलकार सभक प्रवेश हेतै से विश्वास लेल गेल अछि । पाठशालामे अभ्यर्थी सभक संख्या उत्साहजनक रूपमे निरन्तर बढि रहल छै । एखन धरि ६० सँ बेसी अभ्यर्थी सब सकृयतापूर्वक अभ्यास कऽ रहल छथि । पाठशालामे सहजकर्ताक रूपमे प्रशिक्षण कार्यमे आशीष अनचिनहार, कुन्दन कुमार कर्ण आ अभिलाष ठाकुर उल्लेखनीय काज कऽ रहल छथि । गजलमे नव आगन्तु सभक लेल मैथिली गजल नि:शुल्क सिखबाक सुअवसर अछि ई पाठशाला । पाठशालामे प्रत्येक दिन क्रमबद्ध तरिकासँ अभ्यास भऽ रहल छै आ अभ्यर्थी सभके प्रशिक्षक सभद्वारा प्रभावकारी पृष्ठपोषण प्रदान कएल जा रहल छै । जँ मैथिली गजल सिखबामे अहूँके रुची अछि त निच्चा देल QR स्कैन करि वा लिंकपर जा कऽ पाठशालामे सहभागी भऽ सकै छी । QR लिंक एहिपर क्लीक करि 'मैथिली गजल पाठशाला'सँ जुटू

गजल - जिनगी एक टा खेल छी

जिनगी एक टा खेल छी सुख दुख केर ई मेल छी कहियो जे सुलझि नै सकत तेहन ई अगम झेल छी संयमतासँ जे नै रहत तकरा लेल ई जेल छी रूकत नै निरन्तर चलत ई अविराम सन रेल छी होइत अछि जखन दुख तखन दैवक बुझि चलू ठेल छी बहरे-मुक्तजिब © कुन्दन कुमार कर्ण

गजल - प्रिय चलू संग एकातमे

प्रिय चलू संग एकातमे डुबि रहब मिठगर बातमे अनसहज नै बुझू लग हमर आउ बैसू हमर कातमे अछि बरसि रहल जे मेघ झुमि भीज जायब ग बरिसातमे गुन गुना लिअ गजल आइ जुनि संग मिलि केर सुर सातमे फेर एहन मिलत नै समय लिअ मजा प्रेमकेँ मातमे बहरे – मुतदारिक © कुन्दन कुमार कर्ण

हजल - एक दिन कनियांसँ भेलै झगडा

प्रस्तुत कए रहल छी हम अपन पहिल हजल पढू ! हँसू !! हँ, मुदा प्रतिकृया जरुर करब -------------------------------------------- हजल एक दिन कनियांसँ भेलै झगडा मारलनि ठुनका कहब हम ककरा ओ पकडलनि कान आ हम झोंट्टा युद्ध चललै कारगिल सन खतरा मारि लागल बेलनाकेँ एहन फेक देलक आइ आँखिसँ धधरा बाघ छी हम एखनो बाहरमे की कहू ? घरमे बनल छी मकरा एसगर कुन्दन सकत कोना यौ ओ हजलकेँ बुझि लए छै फकरा मात्राक्रम: 2122-2122-22 © कुन्दन कुमार कर्ण

कविता - गामक याद

गामक खेत, नदी आ ओ आमक फूलवारी खेतक कदवा, गँजार आ कुमरौरी, अदौरीकेँ तरकारी मरुवाकेँ रोटी आ मारा माछक चहटगर चटनी रौद कोन पानि कोन सभमे गीत गाबि कए खटनी फूलवारी महँक मचान, ताहिपर तासक विश्व कपकेँ घमासान महन्थ थानपर गप्प सरक्काकेँ लागल ओ साँझ भोरक दोकान गाछ, वृक्ष, पोखरि, झाँखरि आइ सभ मोन पडैत अछि नै जानी किए शहरमे रहितो नजरि ओहने बात तकैत अछि © कुन्दन कुमार कर्ण