सीधे मुख्य सामग्री पर जाएं

संदेश

मई, 2015 की पोस्ट दिखाई जा रही हैं

विशेष

शुरू भेल 'मैथिली गजल पाठशाला'

मैथिली गजल प्रबर्धनके लेल 28 डिसेम्बर 2025 सँ 'मैथिली गजल पाठशाला' शुरू कएल गेल अछि । वाट्स ऐपपर शुरू भेल एहि पाठशालासँ मैथिली गजलमे नव गजलकार सभक प्रवेश हेतै से विश्वास लेल गेल अछि । पाठशालामे अभ्यर्थी सभक संख्या उत्साहजनक रूपमे निरन्तर बढि रहल छै । एखन धरि ६० सँ बेसी अभ्यर्थी सब सकृयतापूर्वक अभ्यास कऽ रहल छथि । पाठशालामे सहजकर्ताक रूपमे प्रशिक्षण कार्यमे आशीष अनचिनहार, कुन्दन कुमार कर्ण आ अभिलाष ठाकुर उल्लेखनीय काज कऽ रहल छथि । गजलमे नव आगन्तु सभक लेल मैथिली गजल नि:शुल्क सिखबाक सुअवसर अछि ई पाठशाला । पाठशालामे प्रत्येक दिन क्रमबद्ध तरिकासँ अभ्यास भऽ रहल छै आ अभ्यर्थी सभके प्रशिक्षक सभद्वारा प्रभावकारी पृष्ठपोषण प्रदान कएल जा रहल छै । जँ मैथिली गजल सिखबामे अहूँके रुची अछि त निच्चा देल QR स्कैन करि वा लिंकपर जा कऽ पाठशालामे सहभागी भऽ सकै छी । QR लिंक एहिपर क्लीक करि 'मैथिली गजल पाठशाला'सँ जुटू

अन्तरवार्ता - मेट्रो एफ.एम. 94.6 मेगाहर्ज पर

दिनांक 28.05.2015 : काठमाण्डू महानगर पालिका द्वारा संचालित आ राष्ट्रिय सभागृहसँ प्रसारणरत मेट्रो एफ.एम. 94.6 मेगाहर्ज पर कार्यक्रम मिथिलाञ्चलमे कार्यक्रम संचालक सरोज खिलाडी द्वारा कएल गेल मैथिली गजल आ साहित्य सम्बन्धि प्रत्यक्ष साक्षात्कार कालमे लेल गेल र्इ तस्वीर ।

गजल (भू-कम्पक सन्दर्भमे)

घर छोडि डरमे जी रहल छी एहन शहरमे जी रहल छी दिन राति छी काटैत एना जेना कहरमे जी रहल छी संसार अपनेमे मगन छै  भगवान भरमे जी रहल छी प्रकृतिसँ हारल अछि परिस्थिति कालक असरमे जी रहल छी मजबूर छी जिनगीसँ कुन्दन तँइ एसगरमे जी रहल छी मात्राक्रम : 221-222-122 © कुन्दन कुमार कर्ण

गजल (भू–कम्पक सन्दर्भमे)

सम्पूर्ण भूकम्प पीड़ित आ एहि कारणे अपना सभक बीचसँ गुजरलप्रति श्रद्धाञ्लीस्वरूप समर्पित ई गजल जै ठाँ छल काइल नित जिनगीक मुस्कान तै ठाँ बस नोरक रहि गेलै किए स्थान हे ईश्वर ई केहन खेल प्रकृति केर लोकक घर जेना अछि बनि गेल शमसान गजलक अक्षर-अक्षर कानैत अछि आब कहि धरती कोना यौ बनि गेल बइमान कहियो सुन्नरता जै देशक रहल शान छन भरिमे सभ ओ मेटा गेल पहचान आशा मोनक कुन्दन अछि जीविते मोर उगबे करतै जिनगीमे एक दिन चान मात्राक्रम : 222-222-221-221 © कुन्दन कुमार कर्ण