Rss Feed
  1. बाल गजल

    Thursday, May 28, 2020

    खूब खाउ यौ बौआ 
    खूब गाउ यौ बौआ

    सूति उठि सबेरेमे 
    नित नहाउ यौ बौआ

    खेतमे चलू खेलब
    संग आउ यौ बौआ

    अंगनासँ बाहर जा
    नै सताउ यौ बौआ

    भूत सूत किछु नै छै
    डर भगाउ यौ बौआ 

    दाँत बड्ड उज्जर अछि
    मुस्कुराउ यौ बौआ

    आइ फेर कुन्दनकें
    लग बजाउ यौ बौआ

    फाइलुन्-मफाईलुन्

    © कुन्दन कुमार कर्ण
    Reactions: 
    | |


  2. 0 comments:

    Post a Comment