'मैथिली शाइरी' जे कि सामाजिक सञ्जालक युगमे पछिला एक दशकसँ बहुक लोकप्रिय भेलै आओर दिनप्रति दिन एकर लोकप्रियतामे निरन्तर वृद्धि भऽ रहल छै । पाठक सभक प्रेमकें ध्यानमे रखैत शेर- ओ-शाइरीक एहि यात्रामे हम फेसबुक पर शेर सभ साझा करैत रहैत छी । सन् २०२५ मे एखन धरि प्रस्तुत भेल शेर निम्न प्रकार अछि । मैथिली गजल प्रेमी सभसँ निहोरा अछि जे ई पढि अपन प्रतिकृया देल जाय । फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू पढबाक लेल धन्यवाद ।
ककरो पात भात नै ककरो घर खीर
ई केहन समाजवादक अछि तस्वीर
शासक केर आँखिमे सठि गेलै पानि
हे ईश्वर ककर सहत के ऐठां पीर
दुर्योधन मरल कहाँ मरदक मानससँ
नव-नव विधिसँ हरि रहल नारीके चीर
दोसर पर विजय सदति मनुषक छै सोच
जे अपनाक जीत लेलक से अछि वीर
देशक माटिमे मिलल छै हमरो घाम
दे हिस्सा समान दै छी धनियाँ जीर
विचलित छै समाज सगरो झूठक भीड
चिन्ता छोडि मोन कुन्दन राखू थीर
मफ़ऊलात-फ़ाइलातुन्-मफ़ऊलात
© कुन्दन कुमार कर्ण
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें