सहजे खुजै से ससरफानी कोन काजकें
केलासँ पछताइ मनमानी कोन काजकें
एते असानीसँ नै मिलबो हम तड़प कनी
सस्ते बिकत फेर से चानी कोन काजकें
लिअ दान तकरेसँ जे नै बाजल फिरै कतौ
दै ढोलहा भरि नगर दानी कोन काजकें
संसदसँ उपदेश दै छै साउध समान ओ
करनी जकर ठीक नै वाणी कोन काजकें
मस्तक सजल ताज जुरगुट्टीमे गुलाब हो
राजा रहत नै रहब रानी कोन काजकें
2212-2122-2212-12
© कुन्दन कुमार कर्ण
0 comments:
Post a Comment