साँच बजलासँ मारल गेलियै
देश दुनियाँसँ बारल गेलियै
स्वार्थ जेना सफल भेलै जकर
तकरा लग तेना धारल गेलियै
ओकरा जीतकें छल लोलसा
ओकरे लेल हारल गेलियै
फूल फल आ हवा देलौं मुदा
जड़िसँ हमहीं उखारल गेलियै
नग्नकें बीच 'कुन्दन' वस्त्रमे
दोषी देखा उघारल गेलियै
2122-122-212
© कुन्दन कुमार कर्ण
0 comments:
Post a Comment