फूल पर बैस खेलै छै तितली
डारि पर खूब कूदै छै तितली
भोर आ साँझ नित दिन बारीमे
गीत गाबैत आबै छै तितली
लाल हरिअर अनेको रंगक सभ
देखमे नीक लागै छै तितली
पाँखि फहराक देखू जे उडि-उडि
दूर हमरासँ भागै छै तितली
नाचबै हमहुँ यौ कुन्दन भैया
आब जेनाक नाचै छै तितली
मात्रक्रम : 212-2122-222
© कुन्दन कुमार कर्ण
डारि पर खूब कूदै छै तितली
भोर आ साँझ नित दिन बारीमे
गीत गाबैत आबै छै तितली
लाल हरिअर अनेको रंगक सभ
देखमे नीक लागै छै तितली
पाँखि फहराक देखू जे उडि-उडि
दूर हमरासँ भागै छै तितली
नाचबै हमहुँ यौ कुन्दन भैया
आब जेनाक नाचै छै तितली
मात्रक्रम : 212-2122-222
© कुन्दन कुमार कर्ण
0 comments:
Post a Comment