'मैथिली शाइरी' जे कि सामाजिक सञ्जालक युगमे पछिला एक दशकसँ बहुक लोकप्रिय भेलै आओर दिनप्रति दिन एकर लोकप्रियतामे निरन्तर वृद्धि भऽ रहल छै । पाठक सभक प्रेमकें ध्यानमे रखैत शेर- ओ-शाइरीक एहि यात्रामे हम फेसबुक पर शेर सभ साझा करैत रहैत छी । सन् २०२५ मे एखन धरि प्रस्तुत भेल शेर निम्न प्रकार अछि । मैथिली गजल प्रेमी सभसँ निहोरा अछि जे ई पढि अपन प्रतिकृया देल जाय । फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू पढबाक लेल धन्यवाद ।
फरिछाक देखू सभटा नाताक बिस्तारमे
निःस्वार्थ भेटत भाई बहिनेक संसारमे
कतबो करत अपनामे झगड़ा लड़ाई मुदा
छल नै रहत कनियो ककरो डांट फटकारमे
अनमोल बन्धन थिक ई एहन सिनेहक अटल
पाएत नै केओ भगवानोक दरवारमे
राखीक धागा छी बहिनक आश विश्वास यौ
आशीष पाबै छै भाई जैसँ उपहारमे
ईवर दए हमरा कुन्दन सभ जनममे बहिन
जिनगी बितै नै कहियो बिनु नेह अन्हारमे
मात्राक्रम : 221-222-2221-2212
© कुन्दन कुमार कर्ण
निःस्वार्थ भेटत भाई बहिनेक संसारमे
कतबो करत अपनामे झगड़ा लड़ाई मुदा
छल नै रहत कनियो ककरो डांट फटकारमे
अनमोल बन्धन थिक ई एहन सिनेहक अटल
पाएत नै केओ भगवानोक दरवारमे
राखीक धागा छी बहिनक आश विश्वास यौ
आशीष पाबै छै भाई जैसँ उपहारमे
ईवर दए हमरा कुन्दन सभ जनममे बहिन
जिनगी बितै नै कहियो बिनु नेह अन्हारमे
मात्राक्रम : 221-222-2221-2212
© कुन्दन कुमार कर्ण
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें