मैथिली गजल प्रबर्धनके लेल 28 डिसेम्बर 2025 सँ 'मैथिली गजल पाठशाला' शुरू कएल गेल अछि । वाट्स ऐपपर शुरू भेल एहि पाठशालासँ मैथिली गजलमे नव गजलकार सभक प्रवेश हेतै से विश्वास लेल गेल अछि । पाठशालामे अभ्यर्थी सभक संख्या उत्साहजनक रूपमे निरन्तर बढि रहल छै । एखन धरि ६० सँ बेसी अभ्यर्थी सब सकृयतापूर्वक अभ्यास कऽ रहल छथि । पाठशालामे सहजकर्ताक रूपमे प्रशिक्षण कार्यमे आशीष अनचिनहार, कुन्दन कुमार कर्ण आ अभिलाष ठाकुर उल्लेखनीय काज कऽ रहल छथि । गजलमे नव आगन्तु सभक लेल मैथिली गजल नि:शुल्क सिखबाक सुअवसर अछि ई पाठशाला । पाठशालामे प्रत्येक दिन क्रमबद्ध तरिकासँ अभ्यास भऽ रहल छै आ अभ्यर्थी सभके प्रशिक्षक सभद्वारा प्रभावकारी पृष्ठपोषण प्रदान कएल जा रहल छै । जँ मैथिली गजल सिखबामे अहूँके रुची अछि त निच्चा देल QR स्कैन करि वा लिंकपर जा कऽ पाठशालामे सहभागी भऽ सकै छी । QR लिंक एहिपर क्लीक करि 'मैथिली गजल पाठशाला'सँ जुटू
जमीन पर जनता हवामे सरकार
कहू चलत कोना गरिबक घरबार
समाजवादक नारा लगबै बेजोड़
सवा करोड़क जे चढ़ै मोटरकार
समाजमे निर्दोष जेतै ककरा लग
कमल कऽ उप्पर भारी भेलै तलवार
अमल करब सेहो जरुरी छै श्रीमान्
विधान टा भेने मिलल की अधिकार
जमाना एलै आब पूरा डिजिटलकें
पढ़ै कहाँ छै लोक सब अखबार
उठू चलू आगू बढू देशक लेल
विकास खातिर लेत क्यो नै अवतार
नदी कखन हम पार हेबै यौ कुन्दन
चलैत नाहक टूटि गेलै पतवार
© कुन्दन कुमार कर्ण
समाजवादक नारा लगबै बेजोड़
सवा करोड़क जे चढ़ै मोटरकार
समाजमे निर्दोष जेतै ककरा लग
कमल कऽ उप्पर भारी भेलै तलवार
अमल करब सेहो जरुरी छै श्रीमान्
विधान टा भेने मिलल की अधिकार
जमाना एलै आब पूरा डिजिटलकें
पढ़ै कहाँ छै लोक सब अखबार
उठू चलू आगू बढू देशक लेल
विकास खातिर लेत क्यो नै अवतार
नदी कखन हम पार हेबै यौ कुन्दन
चलैत नाहक टूटि गेलै पतवार
© कुन्दन कुमार कर्ण
Best Ways to Get From Casino Nightclub To Casinomegas - JMTH
जवाब देंहटाएंFind the best places 충청남도 출장마사지 to get from Casino Nightclub to Casinomegas. From $20 남원 출장안마 to $30, with exclusive offers. Jambase 과천 출장샵 is where 당진 출장샵 you will find the most 김제 출장안마 value.