'मैथिली शाइरी' जे कि सामाजिक सञ्जालक युगमे पछिला एक दशकसँ बहुक लोकप्रिय भेलै आओर दिनप्रति दिन एकर लोकप्रियतामे निरन्तर वृद्धि भऽ रहल छै । पाठक सभक प्रेमकें ध्यानमे रखैत शेर- ओ-शाइरीक एहि यात्रामे हम फेसबुक पर शेर सभ साझा करैत रहैत छी । सन् २०२५ मे एखन धरि प्रस्तुत भेल शेर निम्न प्रकार अछि । मैथिली गजल प्रेमी सभसँ निहोरा अछि जे ई पढि अपन प्रतिकृया देल जाय । फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसकुबपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू फेसबुकपर देखबाक लेल क्लिक करू पढबाक लेल धन्यवाद ।
इजोरियामे उगल छै चान जहिना
अहाँकें चेहरा पर चमकै मुस्कान तहिना
निखरल चेहरा तै पर गदरल जवानी
देखि बदरी बरसै अमृत सन पानी
चारु दिशामे अहींकें बखान ये
साउनमे हरिअर छै धान जहिना
अहाँकें चेहरा पर..........
सिनेहक नजरिसँ हमरा दिस तकलौं
छन भरिमे हमर हृदयमे बसलौं
दुनियाँ भऽ गेलै बहुते हरान ये
पान संग सोहाइत छै मखान जहिना
अहाँकें चेहरा पर..........
अहाँकें चेहरा पर चमकै मुस्कान तहिना
निखरल चेहरा तै पर गदरल जवानी
देखि बदरी बरसै अमृत सन पानी
चारु दिशामे अहींकें बखान ये
साउनमे हरिअर छै धान जहिना
अहाँकें चेहरा पर..........
सिनेहक नजरिसँ हमरा दिस तकलौं
छन भरिमे हमर हृदयमे बसलौं
दुनियाँ भऽ गेलै बहुते हरान ये
पान संग सोहाइत छै मखान जहिना
अहाँकें चेहरा पर..........
बहुत सुंदर शब्द संयोजन! बधाई
जवाब देंहटाएं