मैथिली गजल प्रबर्धनके लेल 28 डिसेम्बर 2025 सँ 'मैथिली गजल पाठशाला' शुरू कएल गेल अछि । वाट्स ऐपपर शुरू भेल एहि पाठशालासँ मैथिली गजलमे नव गजलकार सभक प्रवेश हेतै से विश्वास लेल गेल अछि । पाठशालामे अभ्यर्थी सभक संख्या उत्साहजनक रूपमे निरन्तर बढि रहल छै । एखन धरि ६० सँ बेसी अभ्यर्थी सब सकृयतापूर्वक अभ्यास कऽ रहल छथि । पाठशालामे सहजकर्ताक रूपमे प्रशिक्षण कार्यमे आशीष अनचिनहार, कुन्दन कुमार कर्ण आ अभिलाष ठाकुर उल्लेखनीय काज कऽ रहल छथि । गजलमे नव आगन्तु सभक लेल मैथिली गजल नि:शुल्क सिखबाक सुअवसर अछि ई पाठशाला । पाठशालामे प्रत्येक दिन क्रमबद्ध तरिकासँ अभ्यास भऽ रहल छै आ अभ्यर्थी सभके प्रशिक्षक सभद्वारा प्रभावकारी पृष्ठपोषण प्रदान कएल जा रहल छै । जँ मैथिली गजल सिखबामे अहूँके रुची अछि त निच्चा देल QR स्कैन करि वा लिंकपर जा कऽ पाठशालामे सहभागी भऽ सकै छी । QR लिंक एहिपर क्लीक करि 'मैथिली गजल पाठशाला'सँ जुटू
अंग्रेजीमे एक टा कहबी छै "नथिङ इज न्यू अन्डर द सन" । अर्थात् सुरूजक निच्चामे किछु नव नै छै । मतलब वएह धरती, वएह अकाश, वएह सागर, वएह तरेगन, वएह चान, वएह अग्नि, वएह पवन इत्यादी । जमाना कतबो बदलि जाइ मुदा प्रकृतिक आधारभूत तत्व सभक मुख्य गुणमे कोनो परिवर्तन नै होइ छै । तथापि, प्रकृतिक तत्व सभक स्वरूपमे युग अनुसार जरूर परिवर्तन होइत रहै छै । एकरा प्रकृतिक परिष्कृत प्रस्तुतिक रूपमे सेहो बूझल जा सकै छै । तहिना संगीत आ साहित्यमे सेहो वएह प्रकृति, समाज आ मानव जीवनकें कथा आ व्यथाक चित्रण आदी कालसँ होइत आबि रहल छै । कहबाक अर्थ ई जे मूलभूत तत्व कायम राखैत प्रस्तुतिकरणमे नवकापन भेनाइ कलाक परिष्कृतरूप कहाइ छै ।
हे यै चन्ना गीतक कभर पोष्टर
जखन मैथिली गीत संगीतक बात करी त खास क अधिकसँ अधिक गीत सभमे परम्परागत धून आ परम्परागते संगीत रहैत अछि । बहुत कमरास गीत एहन छै जैमे किछु नव प्रयोग भेल जकाँ बुझाइ छै । एहि नव प्रयोग मालामे अभिलाष ठाकुरकें लिखल आ हुनकहि कम्पोज रहल, प्रकाश झा आ शिवानी मिश्राद्वारा गाओल, प्रितेश पाण्डेकें संगीत संयोजन रहल आ प्रकाश झा एवम् प्रज्ञा कात्यायनकें अभिनय रहल "हे यै चन्ना….." बोलक गीतकें समावेश होइत देखि रहल छी । जे कि किछु दिन पहिने यू-ट्यूव पर रिलीज भेल अछि । त चलू चर्चा करै छी एहि गीतक विविध पक्ष परः
- लेखन आ कम्पोजिसन
मैथिली गजलमे अपन स्थान बना चूकल गजलकार अभिलाष ठाकुरद्वारा लिखल गेल ई गीत एकटा स्तर कायम करबामे सफल भेल अछि । तहिना गीतकार गीतमे शब्द आ भावक सन्तुलन सुन्दर तरिकासँ केने छथि । प्रेमी प्रेमिकाक वार्तालापक शैलीमे प्ररस्तुत कएल गेल ई गीत सुनबामे बेस सोहनगर लगै छै । एहि गीतक प्रशंनीय आ नव गप्प ई छै जे ई गीत मैथिली गीतक सभक परम्परागत धूनसँ हटि क' छै । आधुनिक शैलीमे तयार भेल एकर धून मैथिली गीतमे एक टा अलग मानदण्ड स्थापित केरबामे सेहो सफल भेल बुझा रहल अछि ।
गीतकार अभिलाष ठाकुर
- संगीत
नव धूनक संगे एहि गीतक संगीत आ रेकर्डिंग सेहो उच्चस्तरक रहल अछि । गीतक भाव अनुसार संगीत न्याय केने छै । संगीत सम्पादनक काजमे प्रीतेश पाण्डे हृदसँ मेहनति केने छथि । समग्रमे कही त संगीत आधुनिक आ कर्णप्रिय रहल अछि ।
संगीत संयोजक प्रीतेश पाण्डे
- गायन
प्रकाश झा वर्तमान समयमे मैथिली गायिकीमे कम्माल क' रहल छथि । खास क' अभिलाष झाकें लिखल किछु गीतमे हिनकर गायन बेस प्रभावकारी रहल अछि । पैरोडी गीतक यू-ट्यूब पर बाढि अवस्थामे नव लिरिक्सके सही भाव संग गायत करि श्रोता सभक हृदयमे अपन स्थान बनायब कठिन होइ छै । जे कठिनता पार करबामे प्रकाश सफल भ' रहल छथि । प्रकाशकें संग शिवानी मिश्रा सेहो गीतकें मधुर बनेबामे बेस मेहनति केने छथि । शिवानी बधाईकें पात्र छथि ।
गायिका/गायक: शिवानी मिश्रा/प्रकाश झा
- निर्देशन आ अभिनय
गीतक भिडियोके जतेक प्रशंसा करी ततेक कम बुझाएत । गीतमे जे कथा प्रस्तुत कएल गेल अछि से नवयुवा सभक बीच बेसी लोकप्रिय भ' रहल छै । मैथिलीके परम्परागत म्यूजिक विडियोसँ हटि क' वर्तमान समयकें सम्बोधन करैत एकर कथा लेखन आ निर्देशन रहल अछि ।
निर्देशक अमन हुसैन
निर्देशककें रूपमे अमन हुसैनकें हम पाँच स्टारमेसँ साढे चारि स्टार देब ।
अभिनेत्री प्रज्ञा कात्यायन
प्रज्ञा कात्यायन आ प्रकाश झाकें जोडि खूब जमि रहल छै । प्रज्ञा खूलि क' अभिनय केने छथि । निर्देशक आ दर्शककें अपेक्षा पूरा करबामे प्रज्ञा कोनो कन्जुसी नै केने छथि । प्रज्ञाकें आर नव-नव भिडियो आबै से शुभकामना ।
अभिनय करैत प्रज्ञा आ प्रकाश
समयकें संग हरेक क्षेत्रमे परिवर्तन भेनाइ जरूरी रहै छै । तखने ओ चीज अपन अस्तित्व बचा सकै छै । मैथिली गीत संगीत लेल सेहो याह निअन लागू होइ छै । तँइ मैथिली गीतक बजारमे वृद्धि हेबाक लेल मैथिली गीत संगीतमे गुणस्तरीय नव प्रयोगक बेगरता छै । "हे यै चन्ना……" बोलक गीतमे किछु एहने काज देखबामे आयल जे कि सुखद अछि । तथापि, गीतक भावकें आर गहींगर आ अभिनयकें आरो रोमान्टिक बनायल जा सकैत छल ।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें