मा त्र हिन्दी फिल्ममे नै इङ्गलिश फिल्मी गीत सबमे सेहो मिटरक भरपूर प्रयोग भेल छै । निच्चा देखू हलिउडक सुपर डुपर हिट फिल्मक अतिलोकप्रिय गीत जे कि गीतक दुनियामे बहुतो रेकर्ड कायम करैत रेकर्डिङ्ग इन्डस्ट्री एशोसियन अफ अमेरिकाद्वारा शताब्दीक गीत ( song of the century ) मे समावेश भेल छै । एहि गीतक मुखडा आ मुखडाक पैटर्न जतए दोहराएल छै ततए एक किसिमक ( 6-6-8-6-6- ) आओर अन्तरा आ अन्तराक पैटर्न जतए दोहराएल छै ततए एक किसिमक ( 7-9-7-6-8 ) शब्दांश संख्या (syllable count) , अर्थात मुखडा आ अन्तरामे दू अलत - अलग मिटरक प्रयोग भेल छै । Movie: Titanic (1997) Lyrics: Will Jennings Vocal: Celine Dion Music: James Horner Titanic movie poster image Every night in my dreams I see you, I feel you, That is how I know you go on Far across the distance And spaces between us You have come to show you go on Near, far, wherever you are I believe that the heart does go on Once more you open the door And you're here in my heart And my heart will go on and on Love can touch us o...
अंग्रेजीमे एक टा कहबी छै "नथिङ इज न्यू अन्डर द सन" । अर्थात् सुरूजक निच्चामे किछु नव नै छै । मतलब वएह धरती, वएह अकाश, वएह सागर, वएह तरेगन, वएह चान, वएह अग्नि, वएह पवन इत्यादी । जमाना कतबो बदलि जाइ मुदा प्रकृतिक आधारभूत तत्व सभक मुख्य गुणमे कोनो परिवर्तन नै होइ छै । तथापि, प्रकृतिक तत्व सभक स्वरूपमे युग अनुसार जरूर परिवर्तन होइत रहै छै । एकरा प्रकृतिक परिष्कृत प्रस्तुतिक रूपमे सेहो बूझल जा सकै छै । तहिना संगीत आ साहित्यमे सेहो वएह प्रकृति, समाज आ मानव जीवनकें कथा आ व्यथाक चित्रण आदी कालसँ होइत आबि रहल छै । कहबाक अर्थ ई जे मूलभूत तत्व कायम राखैत प्रस्तुतिकरणमे नवकापन भेनाइ कलाक परिष्कृतरूप कहाइ छै ।
हे यै चन्ना गीतक कभर पोष्टर
जखन मैथिली गीत संगीतक बात करी त खास क अधिकसँ अधिक गीत सभमे परम्परागत धून आ परम्परागते संगीत रहैत अछि । बहुत कमरास गीत एहन छै जैमे किछु नव प्रयोग भेल जकाँ बुझाइ छै । एहि नव प्रयोग मालामे अभिलाष ठाकुरकें लिखल आ हुनकहि कम्पोज रहल, प्रकाश झा आ शिवानी मिश्राद्वारा गाओल, प्रितेश पाण्डेकें संगीत संयोजन रहल आ प्रकाश झा एवम् प्रज्ञा कात्यायनकें अभिनय रहल "हे यै चन्ना….." बोलक गीतकें समावेश होइत देखि रहल छी । जे कि किछु दिन पहिने यू-ट्यूव पर रिलीज भेल अछि । त चलू चर्चा करै छी एहि गीतक विविध पक्ष परः
- लेखन आ कम्पोजिसन
मैथिली गजलमे अपन स्थान बना चूकल गजलकार अभिलाष ठाकुरद्वारा लिखल गेल ई गीत एकटा स्तर कायम करबामे सफल भेल अछि । तहिना गीतकार गीतमे शब्द आ भावक सन्तुलन सुन्दर तरिकासँ केने छथि । प्रेमी प्रेमिकाक वार्तालापक शैलीमे प्ररस्तुत कएल गेल ई गीत सुनबामे बेस सोहनगर लगै छै । एहि गीतक प्रशंनीय आ नव गप्प ई छै जे ई गीत मैथिली गीतक सभक परम्परागत धूनसँ हटि क' छै । आधुनिक शैलीमे तयार भेल एकर धून मैथिली गीतमे एक टा अलग मानदण्ड स्थापित केरबामे सेहो सफल भेल बुझा रहल अछि ।
गीतकार अभिलाष ठाकुर
- संगीत
नव धूनक संगे एहि गीतक संगीत आ रेकर्डिंग सेहो उच्चस्तरक रहल अछि । गीतक भाव अनुसार संगीत न्याय केने छै । संगीत सम्पादनक काजमे प्रीतेश पाण्डे हृदसँ मेहनति केने छथि । समग्रमे कही त संगीत आधुनिक आ कर्णप्रिय रहल अछि ।
संगीत संयोजक प्रीतेश पाण्डे
- गायन
प्रकाश झा वर्तमान समयमे मैथिली गायिकीमे कम्माल क' रहल छथि । खास क' अभिलाष झाकें लिखल किछु गीतमे हिनकर गायन बेस प्रभावकारी रहल अछि । पैरोडी गीतक यू-ट्यूब पर बाढि अवस्थामे नव लिरिक्सके सही भाव संग गायत करि श्रोता सभक हृदयमे अपन स्थान बनायब कठिन होइ छै । जे कठिनता पार करबामे प्रकाश सफल भ' रहल छथि । प्रकाशकें संग शिवानी मिश्रा सेहो गीतकें मधुर बनेबामे बेस मेहनति केने छथि । शिवानी बधाईकें पात्र छथि ।
गायिका/गायक: शिवानी मिश्रा/प्रकाश झा
- निर्देशन आ अभिनय
गीतक भिडियोके जतेक प्रशंसा करी ततेक कम बुझाएत । गीतमे जे कथा प्रस्तुत कएल गेल अछि से नवयुवा सभक बीच बेसी लोकप्रिय भ' रहल छै । मैथिलीके परम्परागत म्यूजिक विडियोसँ हटि क' वर्तमान समयकें सम्बोधन करैत एकर कथा लेखन आ निर्देशन रहल अछि ।
निर्देशक अमन हुसैन
निर्देशककें रूपमे अमन हुसैनकें हम पाँच स्टारमेसँ साढे चारि स्टार देब ।
अभिनेत्री प्रज्ञा कात्यायन
प्रज्ञा कात्यायन आ प्रकाश झाकें जोडि खूब जमि रहल छै । प्रज्ञा खूलि क' अभिनय केने छथि । निर्देशक आ दर्शककें अपेक्षा पूरा करबामे प्रज्ञा कोनो कन्जुसी नै केने छथि । प्रज्ञाकें आर नव-नव भिडियो आबै से शुभकामना ।
अभिनय करैत प्रज्ञा आ प्रकाश
समयकें संग हरेक क्षेत्रमे परिवर्तन भेनाइ जरूरी रहै छै । तखने ओ चीज अपन अस्तित्व बचा सकै छै । मैथिली गीत संगीत लेल सेहो याह निअन लागू होइ छै । तँइ मैथिली गीतक बजारमे वृद्धि हेबाक लेल मैथिली गीत संगीतमे गुणस्तरीय नव प्रयोगक बेगरता छै । "हे यै चन्ना……" बोलक गीतमे किछु एहने काज देखबामे आयल जे कि सुखद अछि । तथापि, गीतक भावकें आर गहींगर आ अभिनयकें आरो रोमान्टिक बनायल जा सकैत छल ।
टिप्पणियाँ
एक टिप्पणी भेजें