![]() |
मैथिली गजल |
-
गजल
Sunday, January 3, 2021
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
साँच बजलासँ मारल गेलियैदेश दुनियाँसँ बारल गेलियैस्वार्थ जेना सफल भेलै जकरतकरा लग तेना धारल गेलियैओकरा जीतकें छल लोलसाओकरे लेल हारल गेलियैफूल फल आ हवा देलौं मुदाजड़िसँ हमहीं उखारल गेलियैनग्नकें बीच 'कुन्दन' वस्त्रमेदोषी देखा उघारल गेलियै2122-122-212© कुन्दन कुमार कर्ण
Labels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
गजल
Wednesday, December 23, 2020
चलाकक शहरमे चलाकी कऽ विधि जानि लेलौंगजब भेल चालनिसँ हम पानि जे छानि लेलौंबहुत दिनसँ खोजैत रहियै अपन शत्रुके हमअचानक नजरि ऐना पर गेल पहिचानि लेलौंमिला देत ओ माटिमे हमरा धमकी दऽ गेलैजनमि गाछ छू लेब हमहूँ गगन ठानि लेलौंकते साक्ष्य प्रस्तुत करू आर प्रेमक परखमेअहाँ केर पाथर हिया देवता मानि लेलौंकलीके खिलल देखि बचपन पड़ल मोन काइलभसाबैत निर्मालके देखिते आइ हम कानि लेलौंविरहमे किए मित्र जिनगी बितेबै अनेरोपहिल छोड़ि गेलै त की दोसरो आनि लेलौंअलग बात छै ई जे हम होशमे नै छी 'कुन्दन'भले लड़खड़ाइत अपन ठाम ठेकानि लेलौं122-122-122-122-122(बहरे मुतक़ारिब मोअश्शर सालिम)© कुन्दन कुमार कर्णLabels: गजल | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
Saturday, November 14, 2020
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
शाइरी
Wednesday, October 21, 2020
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
भक्ति गजल
Saturday, October 17, 2020
Labels: तस्वीर संग्रह | 0 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions:
-
गजल
Monday, September 14, 2020
दोसरकें बात पर नै उछलएको डेग अपनासँ तूँ चलअपने वुद्धि काज देतौ रेचाहे छी मूर्ख चाहे पढ़ललोहा सेहो लीबि जाइ छैबोली जे रहतौ मीठ सरलसंघर्षे कऽ नाम छै जिनगीघर बैसि भेटलै ककरा फलशमशान रहल हेतै कहियोजै ठां देखै छी आइ महलओकर चुप्पी बुझाइ नाटकओ जे बाजै त लागै गजलदुनियासँ भागब किए कुन्दनदलदलमे रहि खिलै छै कमलबहरे मीर© कुन्दन कुमार कर्णLabels: गजल | 1 comments |
| Email This BlogThis! Share to Twitter Share to Facebook |Reactions: